Friday, February 24, 2017 | 7:45:00 PM
ॐ नमः शिवाय
अहाँ जीवन में राग भरू, अनुराग भरू
चिरहासमय उल्लासमय
मधुमास भरू !
जीवन के जीवन रह' दिय ,एहि में
मधु-धार बह' दिय'
फेर देखब की अछ ई जीवन
सुख़ सौभाग्यक पुलकित उपवन
जीवन विराटक दर्पण थीक
शोभा सुषमाक मधुवन थीक
आनंद भरल कैलास लोक
नहि कोनो अछ रोग सोक
शिव गौरीक नर्तन पावन
मधुमय मंगल जीवन थीक ई जीवन
शूल फूल वरदान थीक ,स्वेद कण मानव मस्तक केर
सम्मान थीक
सम्मानित जीवनक आदर अहाँ बनू..
महाशिवरात्रिक अशेष नमन अहाँ के ,,,,,,,
डॉ शेफालिका वर्मा
Posted By